विकिपिडिया maiwiki https://mai.wikipedia.org/wiki/%E0%A4%B8%E0%A4%AE%E0%A5%8D%E0%A4%AE%E0%A5%81%E0%A4%96_%E0%A4%AA%E0%A4%A8%E0%A5%8D%E0%A4%A8%E0%A4%BE MediaWiki 1.48.0-wmf.3 first-letter मेडिया विशेष वार्ता प्रयोगकर्ता प्रयोगकर्ता वार्ता विकिपिडिया विकिपिडिया वार्ता फाइल फाइल वार्ता मेडियाविकि मेडियाविकि वार्ता आकृति आकृति वार्ता मद्दत मद्दत वार्ता श्रेणी श्रेणी वार्ता TimedText TimedText talk मोड्युल मोड्युल वार्ता Event Event talk हिसिला यमी 0 39381 282159 273282 2026-11-08T18:59:26Z CommonsDelinker 608 Removing [[:c:File:Hisila_Yami.jpg|Hisila_Yami.jpg]], it has been deleted from Commons by [[:c:User:Wdwd|Wdwd]] because: [[:c:COM:NETCOPYRIGHT|Copyright violation]], no indication of a [[:c:COM:L|free license]] on the source site ([[:c:COM:CSD#F1|F1]]). 282159 wikitext text/x-wiki [[File:Hisila Yami in New Delhi.jpg|thumb|हुनकर बेटी मानुषी भट्टराई के एकटा चलचित्र "डाउटर अफ नेपाल" के प्रीमियर स्क्रिनिङ में हिसिला यमी , नयाँ दिल्ली में इण्डिया ह्बियाटेट सेन्टर में।]] हिसिला यमी (जन्म २५ जून, १९५९ काठमाडौँ) एक गोटे नेपाली राजनीतिज्ञ आ वास्तुकार छि। ओ नयाँ शक्ति नेपाल के केन्द्रीय समिति के सदस्य आ अखिल नेपाल महिला सङ्घ (क्रान्तिकारी) के पूर्व अध्यक्ष सेहो छि। हुनकर पिता धर्म रत्न यमी एकटा नेपाली सामाजिक कार्यकर्ता, लेखक आ सरकार के उपमन्त्री छल। यमी सन् १९८२ में दिल्ली के स्कूल अफ प्लानिङ एण्ड आर्किटेक्चर सँ स्नातक के उपाधि प्राप्त केलक। सन् १९९५ में यू.के. में टाइन में अवस्थित न्यूक्यासल विश्वविद्यालय सँ ओ अपन एम. आर्क. पूरा केलक। सन् १९९० के समय में पञ्चायत शासन के विरुद्ध विद्रोह करए वाली यमी विरोध प्रदर्शनसभ में सभसँ हाई-प्रोफाइल महिला नेतासभ में सँ एक छल। ओ सन् १९८१-१९८२ में अखिल भारतीय नेपाली छात्र सङ्घ के महासचिव सेहो रहल छल। ओ सन् १९८३ सँ सन् १९९६ धरि इन्स्टिच्युट अफ इन्जिनियरिङ, पुल्चोक क्याम्पस में लेक्चरर सेहो छल। सन् १९९५ में ओ अल नेपाल वुमन एसोसिएशन (रिभोल्यूशनरी) के अध्यक्ष बनल छल आ दुई वरिष के कार्यकाल पूरा केलक। नेपालक कम्युनिस्ट पार्टी (माओवादी) के नेतृत्व में पीपुल्स वार के शुरुवात के पश्चात ओ सन् १९९६ में भूमिगत भऽ गेल छल। सन् २००१ सँ, ओ सीपीएन (माओवादी) के केन्द्रीय समिति के सदस्य रहल आ ओ सङ्गठन के अन्तर्राष्ट्रिय विभाग जेहन विभाग में काम केनए अछि। सरकार आ माओवादी के बीच चलि रहल् शान्ति वार्ता के समयमे ओ १८ जून २००३ में अपन पहिल सार्वजनिक उपस्थिति जनौने छल। सन् २००५ के शुरुवात में, ओ भट्टराई आ दीनानाथ शर्मा के सँगे छल, पार्टी नेतृत्व द्वारा डिमेट कएल गेल। जुलाई में हुनका केन्द्रीय समिति में बहाल करि देल गेल। १ अप्रिल, २००७ में हिसिला यमी नेपालक अन्तरिम सरकार में भौतिक योजना आ निर्माण मन्त्री के रूप में सम्मिलित भेल। यमी के विवाह पार्टी के ही माओवादी नेता डा. बाबुराम भट्टराई सँ भेल अछि। ==ग्रन्थ सूची== ==सन्दर्भ सामग्रीसभ== {{सन्दर्भसूची}} ==बाह्य जडीसभ== * [http://www.monthlyreview.org/1105parvati.htm पिपुल्स पावर इन नेपाल] {{Webarchive|url=https://web.archive.org/web/20110317035536/http://www.monthlyreview.org/1105parvati.htm |date=2011-03-17 }} – लेख [[मासिक रिभ्यु]] यमी द्वारा * [http://sendika.org/yazi.php?yazi_no=3743 टर्किस संस्करण] * [http://www.monthlyreview.org/0203parvati.htm यमी द्वारा कमेन्ट्स के मासिक रिभ्यु] {{Webarchive|url=https://web.archive.org/web/20110317032331/http://www.monthlyreview.org/0203parvati.htm |date=2011-03-17 }} * [http://www.cpnm.org/worker/issue5/article_parvati.htm नेपाल के पीपुल्स वार में महिलासभक सहभागी] * [https://www.npr.org/templates/story/story.php?storyId=5387419 कमरेड पार्वती के सँगे एनपीआर अन्तर्वार्ता] * http://nepalimahila.com/profile_hishila_yami.html{{Dead link|date=October 2023 |bot=InternetArchiveBot |fix-attempted=yes }} ==एहो सभ देखी== [[श्रेणी:नेपाली महिला राजनीतिज्ञसभ]] d1yhetakku0yhwc1c0mlzy7sfzpb9pp