विकिपिडिया
maiwiki
https://mai.wikipedia.org/wiki/%E0%A4%B8%E0%A4%AE%E0%A5%8D%E0%A4%AE%E0%A5%81%E0%A4%96_%E0%A4%AA%E0%A4%A8%E0%A5%8D%E0%A4%A8%E0%A4%BE
MediaWiki 1.47.0-wmf.15
first-letter
मेडिया
विशेष
वार्ता
प्रयोगकर्ता
प्रयोगकर्ता वार्ता
विकिपिडिया
विकिपिडिया वार्ता
फाइल
फाइल वार्ता
मेडियाविकि
मेडियाविकि वार्ता
आकृति
आकृति वार्ता
मद्दत
मद्दत वार्ता
श्रेणी
श्रेणी वार्ता
TimedText
TimedText talk
मोड्युल
मोड्युल वार्ता
Event
Event talk
राजेन्द्र विमल
0
2009
279555
7643
2026-08-12T12:07:33Z
~2026-44471-48
17633
आइ हुनक अचानक निधनक बाद हम हुनका बारे मे जे किछु जनैत छी आ जे किछु जानकारी भेटल अछि से लिखने छी, एहि सँ बेसी किछु नकली नहि अछि ।
279555
wikitext
text/x-wiki
'''डा. राजेन्द्र विमल''' (सन् १९४७–२०२६) नेपालक वरिष्ठ साहित्यकार, कथाकार, कवि, भाषाविद्, प्राध्यापक आ नेपाली तथा मैथिली साहित्यक प्रतिष्ठित स्रष्टा छलाह । ओ नेपाली, मैथिली आ हिन्दी भाषामे लेखन, अध्यापन, अनुवाद आ साहित्यिक गतिविधिमे दीर्घकाल धरि सक्रिय रहलाह । हुनकर साहित्यिक लेखनमे मिथिला आ मधेशक सामाजिक-सांस्कृतिक जीवन, भाषा, मानवीय सम्बन्ध, सामाजिक विभेद, राजनीतिक परिवर्तन आ समकालीन जीवनक विभिन्न पक्ष अभिव्यक्त भेल अछि ।{{cite web|url=https://guthi.madanpuraskar.org/people/rajendra-bimal/|title=राजेन्द्र विमल|website=मदन पुरस्कार गुठी}}
परिवारक अनुसार हुनकर जन्मनाम '''राजेन्द्र लाल''' छल, मुदा साहित्यिक क्षेत्रमे ओ '''डा. राजेन्द्र विमल''' नामसँ व्यापक रूपमे परिचित भेलाह । हुनकर जन्म जनकपुरधामक देवीचौकमे २६ मार्च १९४७ केँ भेल छल । ओ कायस्थ परिवारमे जन्मल छलाह ।{{cite news|title=वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल : जसले कुटाइ खाँदाखाँदै कविता लेख्न सिके !|url=https://www.lokaantar.com/story/51345/2018/8/11/literature/rajendra-bimal-sahityakar|work=लोकान्तर|date=११ अगस्ट २०१८}}
कथालेखनमे दीर्घकाल धरि सक्रिय रहल डा. राजेन्द्र विमलकेँ मधेशक भूमि आ सामाजिक जीवनकेँ नेपाली आख्यानमे प्रस्तुत करबाक योगदानक लेल '''मधुपर्क सम्मान २०७६''' सँ सम्मानित कएल गेल छल ।{{cite web|url=https://baahrakhari.com/news-details/199803/2019-06-14|title=मधुपर्क सम्मान’बाट डा. विमल, सरिता र सुरेश सम्मानित|date=१४ जुन २०१९|website=बाह्रखरी}}
== जीवनी ==
डा. राजेन्द्र विमल शिक्षा आ साहित्य दुनू क्षेत्रमे दीर्घकालीन योगदान देनिहार व्यक्तित्व छलाह । ओ नेपाली, हिन्दी आ मैथिली विषयमे उच्च शिक्षा प्राप्त कएने छलाह । भाषाविज्ञान विषयमे ओ विद्यावारिधि (पीएचडी) उपाधि प्राप्त कएने छलाह ।{{cite news|title=वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल : जसले कुटाइ खाँदाखाँदै कविता लेख्न सिके !|url=https://www.lokaantar.com/story/51345/2018/8/11/literature/rajendra-bimal-sahityakar|work=लोकान्तर|date=११ अगस्ट २०१८}}
वि.सं. २०२९ सालसँ ओ [[त्रिभुवन विश्वविद्यालय|त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे]] नेपाली विषयक अध्यापनमे संलग्न भेलाह आ लम्बा समय धरि अध्यापन कएलनि । मिथिला क्षेत्रक मैथिलीभाषी विद्यार्थीसभकेँ नेपाली भाषामे शिक्षा देबाक संगहि नेपाली भाषा-वाङ्मयमे योगदान देबाक लेल हुनका जगदम्बा-श्री पुरस्कार प्रदान कएल गेल छल ।{{cite web|url=https://guthi.madanpuraskar.org/people/rajendra-bimal/|title=राजेन्द्र विमल|website=मदन पुरस्कार गुठी}}
अध्यापनक अतिरिक्त ओ पत्रकारिता आ साहित्यिक सम्पादनसँ सेहो जुड़ल रहलाह । वि.सं. २०२९ मे त्रिभुवन विश्वविद्यालयक केन्द्रीय क्याम्पसक बुलेटिनक संस्थापक सम्पादकक रूपमे सेहो हुनकर भूमिका रहल छल ।{{cite news|title=वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल : जसले कुटाइ खाँदाखाँदै कविता लेख्न सिके !|url=https://www.lokaantar.com/story/51345/2018/8/11/literature/rajendra-bimal-sahityakar|work=लोकान्तर|date=११ अगस्ट २०१८}}
== साहित्यिक जीवन ==
डा. राजेन्द्र विमल नेपाली तथा मैथिली दुनू भाषाक साहित्यिक क्षेत्रमे सक्रिय छलाह । कथा, कविता, निबन्ध, उपन्यास, समालोचना, अनुवाद आ अनुसन्धानात्मक लेखनक विभिन्न विधामे हुनकर योगदान रहल अछि । हुनकर लेखनमे मिथिला आ मधेशक सामाजिक-सांस्कृतिक जीवन, भाषा, समाज, मानवीय सम्बन्ध, राजनीतिक परिवर्तन आ समकालीन यथार्थक विभिन्न पक्ष देखाइत अछि ।{{cite news|title=वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल : जसले कुटाइ खाँदाखाँदै कविता लेख्न सिके !|url=https://www.lokaantar.com/story/51345/2018/8/11/literature/rajendra-bimal-sahityakar|work=लोकान्तर|date=११ अगस्ट २०१८}}
गोरखापत्र तथा अन्य साहित्यिक स्रोतसभमे हुनकर नेपाली, मैथिली आ अंग्रेजी भाषामे दू दर्जनसँ बेसी कृति प्रकाशित भेल होयबाक उल्लेख भेटैत अछि ।{{cite web|url=https://www.ilovemithila.com/list-of-maithili-ghazal-by-rajendra-bimal/|title=डा. राजेन्द्र विमल पाँचटा मैथिली गजल|website=I Love Mithila}}
== मैथिली साहित्य मे योगदान ==
राजेन्द्र विमल मैथिली भाषा-साहित्यक वरिष्ठ स्रष्टाक रूपमे परिचित छलाह । हुनकर लेखनमे मिथिलाक सामाजिक जीवन, सांस्कृतिक परम्परा, भाषा, मानवीय सम्बन्ध आ सामाजिक परिवर्तनक विभिन्न रूपक अभिव्यक्ति भेटैत अछि । मैथिली कथा, गजल आ अन्य साहित्यिक विधामे हुनकर रचना आ योगदानक उल्लेख विभिन्न साहित्यिक स्रोतसभमे भेटैत अछि ।{{cite web|url=https://www.ilovemithila.com/list-of-maithili-ghazal-by-rajendra-bimal/|title=डा. राजेन्द्र विमल पाँचटा मैथिली गजल|website=I Love Mithila}}
मैथिली भाषा-साहित्यमे योगदानक लेल हुनका '''नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा/साहित्य पुरस्कार २०६८''' सँ सम्मानित कएल गेल छल । पुरस्कारक अभिलेखमे डा. राजेन्द्र प्रसाद 'विमल', धनुषा नाम उल्लेखित अछि ।{{cite report|title=मधेश प्रदेशमा सोइत र सोलकन|url=https://martinchautari.org.np/storage/files/madhesh-pradeshma-paidal-anusandhan-gopal-thakur.pdf|publisher=मार्टिन चौतारी}}
== प्रमुख कृति ==
=== मैथिली ===
''इतिहासक घाओ''
''पचास वर्ष मैथिली कथा''
''ई हमरे कथा थिक''
''सूर्यास्तसँ पहिने''
''सीता''
''नौटंकी चलिरहल अछि''
''दोहाइ बाबा भुँइयाँ''
=== नेपाली ===
''राजेन्द्र विमलका कथाहरू''
''खहरेको तिर्खा''
''समयका आँखा''
''मिथिलाको इतिहास, संस्कृति र कला परम्परा''
''गद्य, पद्य र नाटक''
''फिस्टी रानी''
''रोएको जून''
उपरोक्त कृतिसभक अतिरिक्त हुनकर अन्य रचनासभ विभिन्न पत्र-पत्रिका, साहित्यिक संग्रह आ पाठ्यक्रममे प्रकाशित अथवा समावेश भेल छल ।{{cite web|url=https://sahityasangraha.com/2015/11/03/%E0%A4%B8%E0%A4%82%E0%A4%95%E0%A4%9F%E0%A4%95%E0%A5%8B-%E0%A4%AC%E0%A5%87%E0%A4%B2%E0%A4%BE-%E0%A4%B8%E0%A4%BE%E0%A4%B9%E0%A4%BF%E0%A4%A4%E0%A5%8D%E0%A4%AF%E0%A4%95%E0%A4%BE%E0%A4%B0%E0%A4%b2|title=साहित्यिक भलाकुसारी : ‘संकटको बेला साहित्यकारले नबोले कसले बोल्ने’|date=३ नोभेम्बर २०१५|website=साहित्य सङ्ग्रहालय}}
== प्रमुख रचना आ साहित्यिक विषय ==
हुनकर कथासभमे सामाजिक जीवन, मधेश आ मिथिलाक परिवेश, सामाजिक विभेद, राजनीतिक परिवर्तन, मानवीय सम्बन्ध आ समकालीन समाजक विभिन्न प्रश्नक चित्रण भेटैत अछि । ''रातो पासपोर्ट'', ''ऐँजेरु'', ''पोस्टमार्टम'', ''विद्रोह'', ''जूनकारीको चिहान'', ''केराको फूल'', ''किन काम्छ अमारो'', ''रधिया विमर्श'' आ ''रसिक बूढो'' जेकाँ कथाक उल्लेख साहित्यिक स्रोतसभमे भेटैत अछि ।{{cite web|url=https://samakaleensahitya.blogspot.com/2018/03/|title=समकालीन साहित्य : March 2018|date=मार्च २०१८|website=समकालीन साहित्य}}
== अनुवाद आ अन्य साहित्यिक गतिविधि ==
डा. राजेन्द्र विमल नेपाली, मैथिली आ हिन्दी भाषाबीच साहित्यिक अनुवादक रूपमे सेहो सक्रिय छलाह । विभिन्न साहित्यिक स्रोतसभमे हुनका साहित्यिक, सांस्कृतिक आ रचनात्मक गतिविधिमे संलग्न रहल व्यक्तित्वक रूपमे उल्लेख कएल गेल अछि ।{{cite news|title=वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल : जसले कुटाइ खाँदाखाँदै कविता लेख्न सिके !|url=https://www.lokaantar.com/story/51345/2018/8/11/literature/rajendra-bimal-sahityakar|work=लोकान्तर|date=११ अगस्ट २०१८}}
== पाठ्यक्रममे समावेश रचना ==
हुनकर विभिन्न रचना विद्यालय तथा विश्वविद्यालय तहक पाठ्यक्रममे समावेश कएल गेल छल । ''बन्धनबाट मुक्ति'' कथा कक्षा ९क नेपाली विषयक पाठ्यक्रममे तथा ''लङ्का दहन'' कथा स्नातक तहक अनिवार्य नेपाली विषयक पाठ्यक्रममे समावेश कएल गेल होयबाक उल्लेख भेटैत अछि ।{{cite news|title=वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल : जसले कुटाइ खाँदाखाँदै कविता लेख्न सिके !|url=https://www.lokaantar.com/story/51345/2018/8/11/literature/rajendra-bimal-sahityakar|work=लोकान्तर|date=११ अगस्ट २०१८}}
== पुरस्कार आ सम्मान ==
राजेन्द्र विमलकेँ साहित्य, भाषा, शिक्षा तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमे देल गेल योगदानक लेल विभिन्न पुरस्कार आ सम्मान प्राप्त भेल छल ।
'''जगदम्बा-श्री २०६६''' — मिथिला क्षेत्रमे मैथिलीभाषी विद्यार्थीसभकेँ नेपाली भाषामे शिक्षा देबाक तथा नेपाली भाषा-वाङ्मयमे योगदान देबाक लेल ।{{cite web|url=https://guthi.madanpuraskar.org/people/rajendra-bimal/|title=राजेन्द्र विमल|website=मदन पुरस्कार गुठी}}
'''नेपाल प्रज्ञा सामाजिकशास्त्र, संस्कृति तथा दर्शन प्रज्ञा पुरस्कार २०६९–२०७०''' — नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठानक आधिकारिक पुरस्कार अभिलेखमे डा. राजेन्द्र प्रसाद विमलक नाम प्राप्तकर्ताक रूपमे उल्लेखित अछि ।
'''राष्ट्रिय कलाश्री पुरस्कार २०६९''' — नेपाली कला तथा साहित्य क्षेत्रमे योगदानक लेल ।
'''मधुपर्क सम्मान २०७६''' — मधेश तथा नेपाली आख्यान साहित्यमे योगदानक लेल ।{{cite web|url=https://baahrakhari.com/news-details/199803/2019-06-14|title=मधुपर्क सम्मान’बाट डा. विमल, सरिता र सुरेश सम्मानित|date=१४ जुन २०१९|website=बाह्रखरी}}
'''प्रतिभा सम्मान २०२०''' — नेपाली भाषा, साहित्य तथा संस्कृतिक क्षेत्रमे योगदानक लेल ।
'''मैनाली कथा पुरस्कार''' — नेपाली कथा साहित्यक क्षेत्रमे योगदानक लेल ।{{cite news|title=‘मैनाली कथा पुरस्कार’ र ‘मैनाली कथा सम्मान’ कथाकार राजेन्द्र विमल र आख्यानकार लोकेन्द्रबहादुर चन्दलाई|url=https://www.brtnepal.com/2018/04/02/43289.html|work=BRT Nepal|date=२ अप्रैल २०१८}}
'''सावित्री केशर कथा सम्मान २०७७''' — साहित्य तथा राष्ट्रिय चेतनाक क्षेत्रमे योगदानक लेल ।
'''नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा/साहित्य पुरस्कार २०६८''' — मैथिली भाषा तथा साहित्यक क्षेत्रमे योगदानक लेल ।{{cite report|title=मधेश प्रदेशमा सोइत र सोलकन|url=https://martinchautari.org.np/storage/files/madhesh-pradeshma-paidal-anusandhan-gopal-thakur.pdf|publisher=मार्टिन चौतारी}}
'''चन्द्रकला खनाल अहिंसा स्रष्टा सम्मान २०८०''' — साहित्यिक योगदानक लेल ।
'''बीपी कोइराला स्मृति साहित्य सम्मान २०८०''' — साहित्य क्षेत्रमे विशिष्ट योगदानक लेल ।{{cite news|title=BP literary award to Bimal, freedom fighter honour to Sharma|url=https://risingnepaldaily.com/news/31974|work=The Rising Nepal|date=४ सेप्टेम्बर २०२३}}
विभिन्न साहित्यिक स्रोतसभमे हुनका राष्ट्रिय प्रतिभा पुरस्कार, गोपालप्रसाद रिमाल सम्मान, कुलचन्द्र कोइराला सम्मान, मिथिला विभूति आ वैद्यनाथ सियादेवी मैथिली पुरस्कार सहित अन्य सम्मानसभ प्राप्त भेल होयबाक उल्लेख सेहो भेटैत अछि । मुदा सभ पुरस्कारक वर्ष आ आधिकारिक अभिलेख समान रूपसँ उपलब्ध नहि होयबाक कारण विस्तृत सूची बनबैत काल प्रत्येक पुरस्कारक स्वतंत्र स्रोत देखनाइ उचित अछि ।{{cite web|url=https://sahityasangraha.com/2015/11/03/%E0%A4%B8%E0%A4ंकटको-बेला-साहित्यकारले-नबोले-कसले-बोल्ने|title=साहित्यिक भलाकुसारी : ‘संकटको बेला साहित्यकारले नबोले कसले बोल्ने’|date=३ नोभेम्बर २०१५|website=साहित्य सङ्ग्रहालय}}
== परिवार ==
पारिवारिक विवरणअनुसार हुनकर दुइ पुत्र '''अभाष लाभ''' आ '''विभाष लाभ''' छलाह । अभाष लाभ हुनकर ज्येष्ठ पुत्र छथि तथा मैथिली संगीत आ गायन क्षेत्रसँ सम्बद्ध छथि । विभाषा लाभ हुंकर के छोट पुत्र छथि जे बहुत महान तांत्रिक आ ज्योतिषी छथि । परिवारसँ प्राप्त जानकारीमे दुनू पुत्रक उल्लेख भेल अछि ।
== निधन ==
डा. राजेन्द्र विमलक ११ अगस्ट २०२६ केँ ७९ वर्षक उमेरमे निधन भेल । हुनकर निधन नेपाली तथा मैथिली साहित्यिक क्षेत्रक लेल महत्वपूर्ण क्षति मानल गेल । हुनकर पार्थिव शरीरक जनकपुरधामक स्वर्गदारीमे राजकीय सम्मानसहित अन्त्येष्टि कएल गेल छल ।{{cite news|title=राजेन्द्र विमल: समाज जोड्ने साधक|url=https://ekantipur.com/news/2026/08/11/rajendra-bimal-a-seeker-who-connects-society-39-38.html|work=कान्तिपुर|date=११ अगस्ट २०२६}}
== सन्दर्भ ==
{{सन्दर्भसूची}}
== बाह्य लिङ्क ==
[https://guthi.madanpuraskar.org/people/rajendra-bimal/ मदन पुरस्कार गुठीक आधिकारिक विवरण]
[https://nepalacademy.gov.np/pragya-puraskar/ नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठानक प्रज्ञा पुरस्कार]
[https://www.nepalikalasahitya.com/profile-honors-awards.php राष्ट्रिय कलाश्री पुरस्कार अभिलेख]
[https://www.lokaantar.com/story/51345/2018/8/11/literature/rajendra-bimal-sahityakar लोकान्तरमे प्रकाशित जीवन परिचय]
[https://www.ilovemithila.com/list-of-maithili-ghazal-by-rajendra-bimal/ राजेन्द्र विमलक मैथिली गजल]
[[श्रेणी:जीवनी]]
[[श्रेणी:उत्कृष्ट लेख]]
b3z7rpyn43r8rut91czmcl4qq9lwdb8
चिराग पासवान
0
35023
279556
265830
2026-08-12T14:08:02Z
~2026-44277-58
17634
279556
wikitext
text/x-wiki
{{Infobox officeholder
| image = Chirag Paswan.jpg
| name = चिराग पासवाननीच छूत दुसाध लंगटा माचोद भारत चोर है मांचोद हिन्दू मुस्लिम धर्म माचोद राम अल्लाह का हलाला हरामी भूम-ईहर गोत्र कुर्-मी को-ईरी झा यादव शुक्ला मिश्रा गुप्ता श्रीवास्तव सिंह चौधरी राय पाल योगी मोदी उपाध्याय सरकार चक्रबर्ती नन्दी घोष खान अंसारी आलम महोम्मद कपूर पांडेय तोमर इत्यादि उँच्च जाति जेनरल ओबीसी के वफादार कुत्ते भूम-ईहर चौहरमल चिराग पासवान दलित के नाम पर कलंकित पूर्णिया बिहार सिन्टू पासवान चंद्रकला देवी bjp सिपाही बिहारी पासवान जंग बहादुर sadanand paswan ram Vilas paswan kunal Prakash Sushila Bharti Priyanka Priya Ravi Ranjan Bela Bharti sambhu jha Priya jha payal jha archana Rai brajkishore paswan rudal pankaj paswan neeraj paswan rupesh nilesh akhlesh paswan kausal general paswan gajender paswan Shanti rana rekha rana(bjp)sajal paswan(mokama)Mayanand paswan durga paswan Lakshmi paswan valmiki paswan navneet Kumar(LJP) RAHUL Paswan dhirender paswan raj Kumar Rajput tun tun jha Manish jha mohit CHHTU PASWAN Suraj paswan kishna paswan(LJP) Sonu paswan sanwa paswan bittu paswan nandkishore yadavललन Bhagwan Pandey raju paswan raja paswan चौसा nirala Paswan Ashok Paswan<br>Chirag Paswan
| birth_date = {{birth date and age|1983|10|31|df=y}}
| birth_name =
| othernames =
| birth_place = खगड़िया, [[बिहार]], [[भारत]]
| religion = [[हिन्दू]]
| office = जमुई लोक सभा निर्वाचन क्षेत्र [[बिहार]] सँ भारतीय संसदक सदस्य
| term_start = १६ मई २०१४
| term_end =
| constituency = जमुई लोक सभा निर्वाचन क्षेत्र [[बिहार]]
| predecessor = भूदेव चौधरी
| successor =
| spouse =
| children =
| parents = [[रामविलास पासवान]] (पिता)
| political party = लोक जनशक्ति पार्टी
| occupation = [[अभिनेता]], राजनीतिज्ञ
}}
'''चिराग पासवान''' एक भारतीय [[राजनीतिज्ञ]] तथा लोक जनशक्ति पार्टीक राजनीतिज्ञ आ भारतक सोलहम लोकसभाकें सदस्य छी।<ref>{{cite web|url=http://www.jagran.com/bihar/saran-the-mismatch-to-the-impoverished-state-coalition-chirag-13071720.html|title=बिहार को बदहाल करने के लिए हुआ बेमेल गठबंधन : चिराग}}</ref> ओ भारतक [[बिहार]] राज्य जमुई लोकसभा निर्वाचन क्षेत्र सँ सांसद छी। आ लोजपा प्रमुख [[रामविलास पासवान]]क पुत्र छी।
==प्रारम्भिक जीवन==
==अभिनय करियर==
== राजनीतिक करियर ==
==बाह्य जडीसभ==
==सन्दर्भ सामग्रीसभ==
{{reflist}}
{{commons category-inline}}
[[श्रेणी:व्यक्तिगत जीवन]]
[[श्रेणी:भारतीय राजनीतिज्ञसभ]]
[[श्रेणी:भारतीय अभिनेतासभ]]
2zknwf4end8f288s23c4x6yvp3wzqg1