विकिपिडिया maiwiki https://mai.wikipedia.org/wiki/%E0%A4%B8%E0%A4%AE%E0%A5%8D%E0%A4%AE%E0%A5%81%E0%A4%96_%E0%A4%AA%E0%A4%A8%E0%A5%8D%E0%A4%A8%E0%A4%BE MediaWiki 1.48.0-wmf.4 first-letter मेडिया विशेष वार्ता प्रयोगकर्ता प्रयोगकर्ता वार्ता विकिपिडिया विकिपिडिया वार्ता फाइल फाइल वार्ता मेडियाविकि मेडियाविकि वार्ता आकृति आकृति वार्ता मद्दत मद्दत वार्ता श्रेणी श्रेणी वार्ता TimedText TimedText talk मोड्युल मोड्युल वार्ता Event Event talk मयासुर 0 28564 287983 157416 2026-11-17T20:42:19Z Rotondus 4504 /* एहो सभ देखी */ आकृति 287983 wikitext text/x-wiki [[File:Krishna orders Mayasura to build a palace for the Pandavas.jpg|right|thumb|300px|श्रीकृष्ण मयासुरक पाण्डवसभक लेल एक महल निर्माणक आदेश दैत]] '''मय''' या '''मयासुर''', कश्यप आ दुनक पुत्र, नमुचिक भाई, एक प्रसिद्ध दानव। ओ [[ज्योतिष]] तथा [[वास्तुशास्त्र]]क आचार्य छल। मय दैत्यराज वृषपर्वन् के [[यज्ञ]] के अवसर पर बिन्दुसरोवर के निकट एक विलक्षण सभागृहक निर्माण करि अपन अद्भुत [[शिल्पशास्त्र]] के ज्ञानक परिचय देने छल। हिनकर दुईटा पत्नीसभ - हेमा आ रम्भा छल जाहिसँ पाँच पुत्र तथा तीन कन्यासभ भेल। जखन [[शंकर]] त्रिपुरक भस्म करि असुरसभक नाश करि देलक तखन मयासुर अमृतकुण्ड बनाके सभके जीवित करि देने छल मुद्दा [[विष्णु]] ओकर ई प्रयासके विफल करि देलक। [[ब्रह्मपुराण]] (१२४) के अनुसार [[इन्द्र]] द्वारा [[नमुचि]]क वध होए पर ओ इन्द्रके पराजित करै के लेल तपस्या द्वारा अनेक माया विद्यासभ प्राप्त करि लेने छल। भयग्रस्त इन्द्र ब्राह्मण भेश बनाके ओकर पास गेल आ छलपूर्वक मैत्रीक लेल ओ अनुरोध केलक तथा असली रूप प्रकट करि देलक। एही पर मय अभयदान द हुनका माया विद्यासभक शिक्षा देलक। == रामायणमे== [[रावण]]क पत्नी [[मन्दोदरी]] मायासुरक पुत्री छल। == महाभारतमे== [[महाभारत]] (आदिपर्व, २१९.३९; सभापर्व, १.६) के अनुसार खाण्डव वनके जलावैत समय ई ओही वनमे स्थित [[तक्षक]]क घरसँ भागलक्। [[कृष्ण]] तत्काल चक्रसँ एकर वध करै के लेल चाहलक् मुद्दा शरणागत होए पर [[अर्जुन]] एकरा बचा लेलक। बदलामे ई [[युधिष्ठिर]]क लेल सभाभवनक निर्माण केलक जे मयसभाक नामसँ प्रसिद्ध भेल। एही सभाक वैभवक देखि [[दुर्योधन]] पाण्डवसभसँ डाह करै लगल छल। ई भावना [[महाभारत]] युद्धक जन्म देलक। ==सन्दर्भ सामग्रीसभ== {{reflist}} ==बाह्य जडीसभ== ==एहो सभ देखी== *[[विश्वकर्मा]] *[[भारतीय स्थापत्यकला]] *[[वास्तुशास्त्र]] *[[मार (राक्षस)]] {{श्री राम चरित मानस}} {{महाभारत}} [[श्रेणी:पौराणिक पात्रसभ]] [[श्रेणी:रामायणक पात्रसभ]] [[श्रेणी:महाभारतक पात्रसभ]] 05dsd7ydhbo4mkexihnzalqblwf7dgt